सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया-2
सुनु सुनु रसिया……
- घर के काज में मोन नै लगइए,रही रही के श्याम आहाँ संग भगइये-2
छूटल प्रितिया 2
घर सँ श्याम छूटल प्रितिया,
सुनु सुनु रसिया….. - लोक लाज कुल रीत विसरलो,बंसी के धुन पर सब सखी दौरलौ-2
टूटल रीतियां 2
जग केर श्याम टूटल रीतियां,
सुनु सुनु रसिया……. - नै नक तीर कान्हा एना नै मारु,एना नै कान्हा आहाँ हमरा निहारु-2
हसइये सखिया 2
संग केर श्याम हसइये सखिया,
सुनु सुनु रसिया…….।
सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया-2
सुनु सुनु रसिया…… ।
Author: Unknown Claim credit