देवकी के कोखि सँ जनमल कृष्ण कन्हैया रे

देवकी के कोखि सँ जनमल कृष्ण कन्हैया रे

देवकी के कोखि सँ जनमल कृष्ण कन्हैया रे
ललना रे विधि के लिखल संजोग यशोदा भेली मैया रे

जेहल मे जननी के नोर देवकी के लाल दूर गेल रे
ललना रे सोचि क केलथि संतोख नेना’के प्राण बचि गेल रे

पुलकित नन्द के दुआरि जनम लेल बालक रे
ललना रे देखू सखी रूप निहारि देखथि मैया अपलक रे

दीनघर बसन के दान कि संगे अन्न द्रव दान रे
ललना रे गोकुल मे नवल विहान बढ़ल नन्द-वंश मान रे

सुनू सुनू माय यशोदा जीबहु पूत तोहर रे
ललना रे पलना’मे डोलथि कन्हैया रचल शिव सोहर रे

Author: Guru Ashish

Comments

संबंधित लेख

आगामी उपवास और त्यौहार

कामिका एकादशी

रविवार, 09 अगस्त 2026

कामिका एकादशी
पुत्रदा एकादशी

रविवार, 23 अगस्त 2026

पुत्रदा एकादशी
ओणम / थिरुवोणम

बुधवार, 26 अगस्त 2026

ओणम / थिरुवोणम
रक्षा बन्धन

शुक्रवार, 28 अगस्त 2026

रक्षा बन्धन
श्रावण पूर्णिमा

शुक्रवार, 28 अगस्त 2026

श्रावण पूर्णिमा
कृष्ण जन्माष्टमी

शुक्रवार, 04 सितम्बर 2026

कृष्ण जन्माष्टमी

संग्रह